ⓘ ओखलढुङ्गा जिला

सिद्धिचरण नगरपालिका

सिद्धिचरण नगरपालिका पूर्वी नेपालक सगरमाथा अञ्चलक ओखलढुङ्गा जिलाक एकटा नगरपालिका छी । ई ओखलढुङ्गा जिलाक सदरमुकाम सहो छी । साबिक ओखलढुङ्गाक वडा नम्बर ७ रहेको ठाँम

                                     

ⓘ ओखलढुङ्गा जिला

ओखलढुङ्गा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पडैवाला पहाडी जिलामे सँ एक छी। पूर्वसँ पश्चिमतर्फ क्रमश चौडा होएत गेल ई जिलाक तीन दिशासँ नदी छुट्टेने अछि। उत्तरमे सोलुखुम्बु जिला, दक्षिणमे उदयपुर आ सिन्धुली जिलासँ जोडल ई जिलाक पूर्वमे खोटाङ जिलासँ दुधकोशी नदी आ पश्चिममे रामेछाप जिलासँ लिखू नदी छुट्टेने अछि। नेपालक ७५ जिलामे सँ जनसङ्ख्याक हिसाबमे ५९अम स्थान आ क्षेत्रफलक हिसाबसँ ६८अम स्थान ओगट्ने ई जिलाक कूल भू-भागमे सँ सदरमुकाम ओखलढुङ्गा बजारसँ बहुत कम क्षेत्र पूर्वमे आ बहुतरास क्षेत्र पश्चिममे पडैत अछि । युगकवि सिद्धिचरण श्रेष्ठक जन्म भूमि समेत कहिक पहिचानल जाइवाला ई साहित्यिक उर्वर भूमिमे अभिरवंशी गोपालवंशी एवं किराँतवंशी राजासभ राज्य कएल पवैत अछि। वि.सं २०१८ सालक प्रशासनिक विभाजन पूर्व हालक सोलुखुम्बु, ओखलढुङ्गा आ खोटाङ जिलासभ पूर्व ३ नम्बर ओखलढुङ्गामे पडैत छल।