ⓘ कन्याम

मेची राजमार्ग

पूर्व-पश्चिम राजमार्ग क १० किलोमिटर दूरीमे रहल झापाक चारआलीसँ, इलाम, पाँचथर, ताप्लेजुङ तक जोड्ऽवाला सडक मेची राजमार्ग छी । ई समुद्र सतहसँ करिव १०० मिटर उचाईसँ करीव २५०० मीटर उचाई धरि अछि । एकर कुल लम्बाई २६८ किलोमिटर अछि ।मेची अञ्चलक भौगौलिक आधारमे नीचासँ उपरधरि जुडल भेला कारण एकरा मेची राजमार्ग कहल जाइत अछि । मेची राजमार्गक जम्मा २६८ कि.मी. मे सँ चारआलीसँ ताप्लेजुङक सुकेटार विमानस्थलधरि कालोपत्र भऽ गेल अछि। ई झापाक बुधबारे, इलामक फिक्कल, तीनघरे, इलामबजार, बिब्ल्याँटे, पाँचथरक फिदिम जेहन बजारसभ लगायत ताप्लेजुङक फुङलिङ बजार पहुँचैत अछि।

                                     

ⓘ कन्याम

कन्याम पूर्वी नेपालक मनोरम पर्यटकीय केन्द्र छी । ई इलाम जिलाक सूर्योदय नगरपालिकामे अवस्थित अछि । मनोरम चायबारी भेल ई पर्यटकीय स्थलमे आन्तरिक तथा बाह्य पर्यटकसभके भीड लागैत अछि । ई पूर्वी नेपालक लोकप्रिय वनभोज स्थान सेहो अछि । झापा, मोरङ जिला, सुनसरी जिला लगायत तराईके विभिन्न जिला तथा नजदिकी देश भारतसँ सेहो गर्मीसँ ठण्डा पाबैलेल पैग सङ्ख्यामे लोकसभ एतय घुमैलेल आ वनभोज करैलेल एतय आबैत अछि ।

पर्यटनक लेल कन्याममे पिकनिक स्पट, दृष्यावलोकन, घोडचढी लगायतक सेवासभ उपलब्ध रहल अछि ।