ⓘ सिराहा जिला

                                     

ⓘ सिराहा जिला

सिराहा जिला नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे पूर्वीभागक दक्षिणी सिमानामे रहल जिला छी । ई जिलाक पूर्वमे सप्तरी जिला, पश्चिममे धनुषा जिला, उत्तरमे उदयपुर जिला तथा दक्षिणमे भारतक बिहार प्रदेश अवस्थित अछि । सिराहा जिला सगरमाथा अञ्चलक सब सँ कम क्षेत्रफल आ बेसी जनघनत्व भेल जिला छी । एतय प्राकृतिक रूपमे उत्तरी भेगमे उच्च, निर्मल जमीन बेसी अछि तहिने दक्षिणी भेगमे होंच आ समथर जमीन बेसी अछि । ई जिलाके १० गाउँपालिका, आ ६ नगरपालिका आ प्रतिनिधि सभाक लेल ४ निर्वाचन क्षेत्रमे विभाजन कएल गेल अछि ।

                                     

1. भौगालिक अवस्था

  • अक्षांश: २६ डिग्री ३३" सँ २६ डिग्री ५५" उत्तर
  • जिला सदरमुकाम: सिराहा नगरपालिका
  • औषत लम्बाई: ४२.४ किलोमिटर
  • जिलाक क्षेत्रफल: १,२२८ वर्ग किलोमिटर
  • उचाई: समुन्द्री सतह सँ ७६ मिटर सँ ८८५ मिटरधरि।
  • देशान्तरः ८६ डिग्री ६" सँ ८६ डिग्री २६" पूर्व
                                     

सिराहा नगरपालिका

सिराहा सिराहा जिलाक सदरमुकाम छी । सिराहा सगरमाथा अञ्चलमें पडएत अछि । सन् २०११ के जनगणना अनुसार सिराहाक जनसंख्या २८,४४२ अछि । इ सहर ८० मिटर अवनतिमें अछि ।