ⓘ त्रिभुवन विश्वविद्यालय

महेन्द्र मलंगिया

महेन्द्र मलंगिया 1946- गाम- मलंगिया, जिला- मधुबनी । मैथिलीक सुपरिचित नाटककार, रंग निर्देशक एवं मैलोरंगक संस्थापक अध्यक्ष । लोक साहित्य पर गंभीर शोध आलेख । मैथिलीमे 13टा नाटक, 19टा एकांकी, 14टा नुक्कड़ आ 10टा रेडियो नाटक प्रकाशित आ आकाशवाणी सँ प्रसारित । सीनियर फेलोशिप भारत सरकार, इंटरनेशनल थिएटर इंस्टिच्यूट नेपाल, प्रबोध साहित्य सम्मान आदि सँ सम्मानित । संप्रति ज्योतिरीश्वर लिखित मैथिलीक प्रथम पुस्तक वर्णरत्नाकर पर शोध कार्य । श्री महेन्द्र मलगियाक जन्म २० जनबरी १९४६ मे मधुबनी जिलाक मलंगिया गाममे भेलन्हि। मलंगियाजी मैथिली हिन्दी, अंग्रेजी आ नेपाली भाषाक जानकार आ थियेटर शिक्षण, पटकथा लेखन आ ...

बोनिता शर्मा

बोनिता शर्मा एक गोटे नेपाली स्वास्थ्य आ पोषण कार्यकर्ता छि। ओ सोशल चेन्जमेकर्स आ इनोभेटर्स नामक दुईटा संस्था चलावैत अछि आओर सन् २०१९ में बीबीसी कऽ १०० महिलासभ में सँ एक के रूप में सूचीबद्ध भेल छल।

कुल मान घिसिङ्ग

कुल मान घिसिङ्ग १९७०-वर्तमान नेपाल विद्युत प्राधिकरण एनईए के नेपालक वर्तमान प्रबन्ध निर्देशक छी । ओ नेपालसँ लोडशेडिङ्गक हटावै के लेल जानल जाइत अछि ।

                                     

ⓘ त्रिभुवन विश्वविद्यालय

त्रिभुवन विश्वविद्यालय वा टियु नेपालक पुरान, पैग विश्वविद्यालय तथा उच्च शिक्षाक लेल नेपालक पहिल राष्ट्रिय शैक्षिक संस्था सेहो छी । ई विश्वविद्यालयक केन्द्रीय कार्यालय कीर्तिपुर काठमाडौंमे अछि ।

ई विश्वविद्यालय ३०४२–५–२ रोपनी क्षेत्रफलमे फैलल अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत पाँचटा प्राविधिक शैक्षिक संस्था आ चारिटा साधारण सङ्काय सञ्चालित अछि । ई पचासटा प्राविधिक शीर्षकमे प्रमाण–पत्र तहके शिक्षा द रहल अछि ताहिना १०७९ शीर्षकमे स्नातक तथा १ हजार शीर्षकमे स्नातकोत्तर शीर्षकमे शिक्षा प्रदान करि रहल अछि । एकर साथ ई विद्यावारिधिक लेल समेत विभिन्न शिर्षकमे प्राविधिक तथा सङ्कायस्तरीय शिक्षा द रहल अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गत ९३१ टा निजी क्याम्पससभ सम्बन्धन लेनए अछि ।

सन् २०१३–१४ धरि एहिमे ६,०४,४३७ विद्यार्थीसभ विभिन्न शैक्षिक तहमे अध्ययनरत अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे ७,९६६ अध्यापन सङ्काय अछि । त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे १५,१९६ कर्मचारी कार्यरत अछि । कृषि तथा पशु विज्ञान, वन विज्ञान, इञ्जिनियरिङ, विज्ञान तथा प्रविधि, चिकित्साशास्त्र, समाजविज्ञान, भूगर्भशास्त्र मानवशास्त्र, व्यवस्थापन, शिक्षाशास्त्र, कानून तथा मानविकिमे ई विश्वविद्यालय शिक्षा प्रदान करि रहल अछि । ३८ केन्द्रीय विभाग समेत करि ई विश्वविद्यालयक ६० आङ्गिक क्याम्पस रहल अछि ।

                                     

दिपेन्द्र झा

दिपेन्द्र झा नेपालक सात प्रदेश मध्ये प्रदेश नं. २क पहिल आ वर्तमान मुख्य न्यायाधिवक्ता छी। हिनका द्वारा फरबरी २०१८ मे पद ग्रहण कएल गेल। ओ प्रदेश नं. २क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतक कानूनी सलाहकार छी आ प्रदेशक विधेयक मसौदा सुविधा समितिक संयोजक छी।