ⓘ इङ्ल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

आयरल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

आयरल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम आयरल्यान्डक प्रतिनिधित्व करैत अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट प्रतियोगितामे भाग लेनिहार क्रिकेट खेलाडीसभक समूह छी । ई क्रिकेट टिम अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषदक एसोसिएट सदस्य राष्ट्र छी आ वर्तमान अन्तर्राष्ट्रिय एकदिवसीय क्रमाङ्कमे ११ क्रमक टिम छी, जे कोनो भी एसोसिएट सदस्य टिमके लेल सर्वोच्च छी । आयरल्यान्ड अपन पहिल वनडे खेल सन् २००६ मे इङ्ल्यान्ड विरुद्ध खेलने छल । तखन सँ अखनि धरि आयरल्यान्ड १०१ एकदिवसीय म्याच खेलने अछि जाहिमे ४५ जित, ४७ हार आ ६ बेनातिजा आ ३ टाई नतिजा निकालने अछि ।

बेन स्टोक्स

बेञ्जामिन एन्ड्रयु स्टोक्स एक अङ्ग्रेज अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट खेलाडी आ वर्तमान इङ्ल्यान्ड टेस्ट टिमक उपकप्तान छी। २०१९ क्रिकेट विश्वकप जितऽवला इङ्ल्यान्ड टिममे ओ एक महत्वपूर्ण खेलाडीक रुपमे भूमिका निर्वाह केनए छल। १२ वर्षक उमरमे स्टोक्स अपन परिवार सङ्गे क्राइस्टचर्च, न्युजिल्यान्ड सँ उत्तरी इङ्ल्यान्ड आबि गेल छल। इङ्ल्यान्ड आबि गलाक बाद ओ क्रिकेट सिखलक् आ स्थानीय क्रिकेट क्लब सँ खेलनाए आरम्भ केलक। ओ एक हरफनमौला खेलाडी छी जे बामा हात सँ बल्लेबाजी आ दाहिना हात सँ तेज गतीकें गेन्दबाजी करैत अछि। ओ एक आक्रामक मध्यपङ्क्तिकें बल्लेबाज छी जकर नाम पर इङ्ल्यान्ड दिस सँ खेलैत सभ सँ तीव्र दोहरा शतक, ...

                                     

ⓘ इङ्ल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

इङ्ल्यान्ड क्रिकेट टिम अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे इङ्ल्यान्ड आ वेल्सक प्रतिनिधित्व करनिहार एकटा टिम छी । सन् १९९७ जनवरी १ बाद ई टिमके इङ्ल्यान्ड आ वेल्स क्रिकेट बोर्डद्वारा सञ्चालित अछि तहिने एहि सँ पूर्व एकरा सन् १९०३ सँ १९९६ क अन्त धरि मेरिलबोन क्रिकेट क्लबद्वारा शासित कएल गेछल । सन् १८७७ के १५-१९ मार्चमे आयोजित इङ्ल्यान्ड तथा अस्ट्रेलिया राष्ट्रिय क्रिकेट टिम बीच भेल म्याचके पहिल आधिकारिक टेस्टके रुपमे मानल जाइत अछि । सन् १९०९ जुन १५ मे ई दुनू राष्ट्र संग दक्षिण अफ्रिका क्रिकेट बोर्ड मिल इम्पिरियल क्रिकेट कन्फ्रेन्स गठन केनए छल । इङ्ल्यान्ड आ अस्ट्रेलिया बीच सन् १९७१ जनवरी ५ मे पहिल एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय म्याच खेलल गेछल । इङ्ल्यान्ड अपन पहिल अन्तर्राष्ट्रिय टि-ट्वान्टी म्याच अस्ट्रेलिया विरुद्ध सन् २००५ जुन १३ मे खेलेने छल ।