ⓘ नेपालक संरक्षित क्षेत्रसभ

                                     

ⓘ नेपालक संरक्षित क्षेत्रसभ

नेपालक संरक्षित क्षेत्रसभ मुख्यतः जङ्गली जमिन ओकटने अछि जे नेपालक विविध उचाईमे अछि । ई क्षेत्रसभमे तराई आ हिमालयक भाग अछि । नेपालक क्षेत्रफल १,४७,१८१ किमी २ अछि । दक्षिण-पूर्वी तराईक न्युनतम उचाई ६७ मी सँ सगरमाथा उच्चतम उचाई ८,८४८ मी धरि विविधता अछि ।

वनस्पति वैज्ञानिकसभ नै फुलाएवला पौधासभक १,१२० प्रजाति आ फूल फुलाएवला पौधासभक ५,१६० प्रजाति दर्ज केनए अछि । नेपाल एसिया महादेशमे फूल आ पौधाक विविधताक मामलामे १०अम स्थानपर अछि । तहिना भूवैज्ञानिकसभ नेपालमे १८१ स्तनपायी प्रजाति, ८४४ प्रजातिक पक्षी, १०० साँपक प्रजाति, ४३ उभयचर प्रजातिसभ, १८५ मीठ पानिक माछक प्रजाति आ ६३५ तरहक तितलीक प्रजाति दर्ज केनए अछि ।

                                     

1. राष्ट्रिय निकुञ्जसभ

  • बाँके – ५५० किमी २ २१० वर्ग माइल
  • खप्तड – २२५ किमी २ ८७ वर्ग माइल
  • लाङटाङ – १,७१० किमी २ ६६० वर्ग माइल
  • पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष – ६३७ किमी २ २४६ वर्ग माइल
  • सगरमाथा – १,१४८ किमी २ ४४३ वर्ग माइल
  • बर्दिया – ९६८ किमी २ ३७४ वर्ग माइल
  • शुक्लाफाँट वन्यजन्तु आरक्ष – ३०५ किमी २ ११८ वर्ग माइल
  • रारा – १०६ किमी २ ४१ वर्ग माइल
  • चितवन – ९३२ किमी २ ३६० वर्ग माइल
  • शिवपुरी नागार्जुन – १५९ किमी २ ६१ वर्ग माइल
  • शे-फोक्सुण्डो – ३,५५५ किमी २ १,३७३ वर्ग माइल
  • मकालु बरुण – १,५०० किमी २ ५८० वर्ग माइल
                                     

2. संरक्षित क्षेत्रसभ

  • कञ्चनजङ्गा संरक्षण क्षेत्र – २,०३५ किमी २ ७८६ वर्ग माइल
  • अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र – ७,६२९ किमी २ २,९४६ वर्ग माइल
  • अपि नाम्पा संरक्षण क्षेत्र – १,९०३ किमी २ ७३५ वर्ग माइल
  • गौरीशङ्कर संरक्षण क्षेत्र – २,१७९ किमी २ ८४१ वर्ग माइल
  • मनास्लु संरक्षण क्षेत्र – १,६६३ किमी २ ६४२ वर्ग माइल
  • कृष्णासार संरक्षण क्षेत्र – १५.९५ किमी २ ६.१६ वर्ग माइल
                                     

3. रामसार क्षेत्रसभ

निम्नलिखित रामसार क्षेत्रसभ सन् १९८८ सँ सन् २००८ धरि सूचिकृत कएल गएल अछि:

  • गोक्यो ताल परिसर – ७,७७० हेक्ट ३०.० वर्ग माइल
  • रारा ताल – १,५८३ हेक्ट ६.११ वर्ग माइल
  • जगदिशपुर जलाशय – २२५ हेक्ट ०.८७ वर्ग माइल
  • माईपोखरी – ९० हेक्ट २२० एकड
  • बिसहजारी ताल – ३,२०० हेक्ट १२ वर्ग माइल
  • फोक्सुण्डो ताल – ४९४ हेक्ट १.९१ वर्ग माइल
  • घोड़ाघोड़ी ताल – २,५६३ हेक्ट ९.९० वर्ग माइल
  • गोसाइँकुण्ड – १३.८ हेक्ट ३४ एकड
  • पोखरा उपत्यका ताल समूह